settings icon
share icon
प्रश्न

हम एखनहि सँ यीशुमे विश्वा स केलहुँ अछि ... आब आगू की ?

उत्तर


अहॉके बहुत-बहुत बधाई! अहॉ अपम जीवन बदलै वला निर्णय लेलहुं! हमरा बुझाइए अहॉ पूछि रहल छी जे, ''आब आगू की? हम परमेश्ववरक संग अपन यात्रा कोना शुरू करी?'' बाइबिल सॅ लेल गेल निचा लिखल पॉच बात अहॉ के निर्देशित करत। जखन अहॉके अपन यात्रामे कोनो प्रश्नच पुछबाक हुए त’ कृपा क’ क’ www.GotQuestions.org/Maithili पर देखू।

1. ई निश्चित करू जे अहॉ मुक्तिके बुझैत छी।

1 जॉन 5:13 हमरा सभके कहैत अछि, "हम ई सभ चीज ओकरा लय लिखैत छी जे परमेश्व्रके पूत्रक नाममे विश्वातस रखैत छथि जाहि स’ कि अहॉ जानि सकी जे अहॉक जीवन अनंत अछि।" परमेश्वार हमरा सभ स’ चाहैत छथि, जे हम सभ उद्धार के बूझी। परमेश्वंर हमरा सभ स’ चाहैत छथि जे हमरा सभके एहि बातमे पूरा भरोसा रहय जे हमरा सभक रक्षा भए रहल अछि। संक्षेपमे, आऊ हम सभ क्षमाक मूल विन्दु पर चली:

(अ) हम सभ पाप कएने छी। हमसब लोकनि ओ काज सभ कएने छी जे परमेश्वतर के दुखी करैत छन्हि (रोमन 3:23)।

(ब) अपन पापक कारण, हम सभ परमेश्वीर स’ अनन्त दूर रहबाक दण्डक भागी छी (रोमन 6:23)।

(स) हमर पापक दण्ड भोगैक लय यीशु शूलीपर मरलाह (रोमियो 5:8; 2 कुरिन्थयो 5:21)। यीशु ओ दण्ड ल’ क’ हमरा बदलामे मरलाह जकर अधिकारी हम छलहु। हुनकर पुनर्जन्म ई प्रमाणित कए देलक जे यीशुके मृत्यु हमर पापक करजा चुकता करैक लेल काफी छल।

(द) परमेश्वीर ओहेन सभ गोटेके क्षमा आ मुक्ति दैत छथिन्ह जे अपन विश्वादस यीशुमे रखैत छथि (यूहन्ना् ३:१६, रोमियो ५:१, रोमियो 8 :1)

ई मुक्तिक समाद अछि! जँ अहॉ यीशु मसीह पर अपन मुक्तिदाताके रूपमे विश्वा्स कएने छी, त’ अहॉ मुक्त भ’ गेल छी! अहाँक सभ पापक क्षमा क’ देल गेल अछि आओर परमेश्व र अहॉके कखनो नहि छोड़बाक वचन दैत छथि (रोमियो ८:३८–३९, मत्ती् २८:२०)। मोन राखू यीशुमे अहॉक मुक्ति सुरक्षित अछि (यूहन्नाो १०:२८–२९)। जँ अहॉ अपन मुक्तिदाताक रूपमे सिर्फ यीशु पर भरोसा रखैत छी, त’ अहॉ एहि लेल विश्वूस्त भ’ सकैत छी जे स्वर्गमे अहॉ परमेश्वीरक संग अनन्ततामे रहब!

2. एकटा बढ़िया गिरजाघर ताकू जे बाइबिल के शिक्षा द’ सकय।

गिरजाघर के एकटा घर मात्र नहि बुझू। लोके सभ चर्च अछि। ई बड्ड जरूरी अछि जे यीशुमे विश्वारसी लोक सभ आपसमे एक-दोसराक संग दोस्ती-यारी रखैथ। ई गिरजाघरक मूल उद्देश्यिमे स’ एकटा अछि। आब, जखन कि अहॉ यीशुमे अपन विश्वाखस बना लेलहुं, त’ हम अहॉ के मन सँ प्रोत्साहन दैत छी जे अहॉ अपन क्षेत्रमे बाइबिल पर विश्वा स रख’ वला गिरजाघर ताकू आओर ओकर पादरी सँ गप्प करू। यीशुमे अपन नव विश्वा स होयब से हुनका कहियन्हु।

गिरजाघरक दोसर उद्देश्यल अछि : बाइबिलक शिक्षा देनाइ। अहॉ परमेश्वखरक निर्देशके अपन जीवनमे उतारनाई सीख सकैत छी। बाइबिलके बुझनाइ एकटा सफल आओर जोरगर मसीही जीवन जीवाक कुँजी अछि। 2 तिमुथियुस 3:16-17 कहैत अछि जे, "सभटा पवित्र किताब परमेश्ववरक प्रेरणा स’ लिखल गेल अछि । उपदेश आ समझेनाई, ठीक केनाई ई सभ धर्मक शिक्षाक लेल लाभदायक अछि। जाहिसँ कि परमेश्व6रक लोक सबटा नीक काजक लेल पूरा-पूरी तत्पर भए जाईथ।"

गिरजाघरक तेसर उद्देश्य पूजा केनाइ अछि। परमेश्वसरक सभ काजक धन्यवाद देनाई पूजा करनाइ अछि! परमेश्वरे हमरा सभके बचौलन्हि। परमेश्वसर हमरा सभके दुलार करैत छथि। परमेश्व्र हमरा सभ लए वस्तु आनैत छथि। परमेश्व र हमरा सभके बाट देखबैत छथि आ हमरा सभके निर्देश दैत छथि। हम सभ हुनकर धन्यवाद किएक नहि करी? परमेश्वकर पवित्र, सदाचारी, प्रभु आओर प्रेम स’ भरल, दया करए वला आ उपकार स’ भरल छथि। रिभेलेशन 4:11 इएह घोषणा करैत अछि जे, "हे हमर प्रभु आओर परमेश्ववर, महिमा, मान-सम्मान आओर शक्तिक लेल अहीं महान छी, किएक त’ अहीं ई सब किछु बनौलहुँ आ अहींक मोन स’ ई सब बनल जे लोक सभके भेटैत अछि।"

3. परमेश्व र पर ध्यान लगाबक लेल सबदिन समय निकालू।

परमेश्वतर पर ध्यान केन्द्रित करबाक लेल सबदिन समय निकालू। हमरा सभहक लेल बड्ड जरूरी अछि जे हमसभ सब दिन परमेश्वरर पर ध्यान केन्द्रित करी। कुछ गोटे एकरा "मौन समय कहैत छथि"। बाकी गोटे एकरा "भक्ति" कहैत छथि, किएक त’ ई ओ समय होइत अछि जखन हम सभ अपना आपके परमेश्वगरक प्रति समर्पित करैत छी। कुछु गोटे भोरमे समय बचबैत छथि त’ किछु गोटे के सांझक समय उचित लगैत छन्हि। एहि स’ किछुओ फर्क नहि पड़ैत छै जे अहॉ एहि समयके की कहैत छी वा अहॉ ई कखन करैत छी। महत्वपूर्ण बात ई जे अहॉ नियम स’ सभ दिन परमेश्वॉरक संग समय बितबैत छी। परमेश्वररक संग हमरा कोन काज करैक अछि ?

(अ) प्रार्थना। प्रार्थना त’ सिर्फ परमेश्व्र स’ गप्प केनाइ अछि। परमेश्वसर स’ अपन चिंता आओर समस्या सभक बारेमे गप्प करू। परमेश्व’र के कहियन्हु जे ओ अहॉ के बुद्धि दैथ आ बाट देखबैथ। अपन जरूरत पूरा करबाक लेल परमेश्व’र स’ कहियन्हु। परमेश्वमरके कहियन्हु जे अहॉ हुनका स’ कतेक प्रेम करैत छी, आओर ओ जे किछु अहॉक लेल करैत छथि ओकरा अहॉ कतेक सराहैत छी। इएह सभ बातके प्रार्थना कहल जाएत अछि।

(आ) बाइबिलक अध्यरयन। गिरजाघरमे, रवि स्कूुल मे या बाइबिलक कक्षामे बाइबिलक शिक्षा लेबाक बादो अहॉके अपना लेल बाइबिल पढ़व जरूरी अछि। एकटा सफल मसीही जीवन जीवाक लेल बाइबिलमे ओ सभ चीज अछि जे जानब अहॉक लेल जरूरी अछि। ई हमरा सभके परमेश्वेर दिस स’ बाट देखबैत अछि जे कि कोन तरहें सही निर्णय ली । परमेश्ववरक मोनक बात कोना जानि सकी, बाकी सभ गोटाक कोन तरहें देख–रेख करी आ कोन तरहें अपन आत्मिक विकास करी। बाइबिल हमरा सभक लेल परमेश्वहरक वचन अछि। बाइबिल वस्तु त: परमेश्व रक दिस स’ निर्देशक नियमावली अछि जे कि हम अपन जीवन कोन तरहें जीवि जाहि स’ कि ओ खुश होयथि आओर हमरा संतुष्टि भेटय।

४. ऐहन लोक सभ स संबंध बढ़ाउ जे अहॉ के आत्मिक रूप स सहायता क सकैत छथि।

१कुरन्थिसयन्सा १५:३३ हमरा सभ के बुझबैत अछि जे कतउ धोखा नहि खाई, खराब संगति नीको चरितर के बिगाडि़ दैत अछि।" बाइबिल मे एहि तरहक चेतावनी भरल अछि जे खराब मनुखक प्रभाव हमरा सभ पर कोन तरहें पडि़ सकैत अछि। पापी सभक संगहि रहला स हमरो सभ के ओहि तरहक पाप के प्रति मोन बढ़य लगैत अछि। हम जाहि तरहक लोकक लगमे छी ओकर छाप हमरो ऊपर पड़ैत अछि। ताहि कारण स’ ई महत्वकपूर्ण अछि जे हम अपना के एहन लोक सभ लग राखी जे सभ परमेश्वपर स’ प्रेम करैत होथि आ हुनका प्रति समर्पित होथि।

एहन एक या दू गोट संगी बनावाक प्रयास करू, भ’ सकैत अछि जे एहन अपने गिरजाघरमे भेट जाथि जे कि अहॉक उपकार करैथ आ अहॉके प्रोत्साकहन देथि (इब्रानियो ३:१३; १०:२४)। अपन संगी सभके कहियौन्हअ जे ओ अहॉक खाली समयमे, अहॉक हरकत आ परमेश्वकरक संग अहॉक रहबाक संबंधमे अहॉक जवाबदेही रखथि। हुनको स’ पूछियौन्हक जे कि अहूं हुनका लेल ओहिना कए सकैत छी। एकर मतलब ई नहि जे अहॉके अपन ओहि सभ संगी सबके छोड़य पड़त जे सभ यीशु के अपन उद्धारकर्ताक रूपमे नहि जनैत छथि। हुनको सभक संगी बनल रहू आ हुनका सभ स’ सेहो प्रेम राखू। केवल साधारण तरहें हुनका सभ के ई बुझबियन्हु जे यीशु अहॉक जीवन बदलि देलैथ आ आब अहॉ ओ सभ काज नहि कए सकैत छी जे पहिले करैत छलहुं। परमेश्व रके कहियन्हुं जे ओ अहॉंके एहन मौका दैथ जे कि अहॉ यीशुके अपने संगी सभ संगे बॉटि सकी।

५. बर्पातस्माे लिय।

बहुते लोकके बर्पातस्मांक बारेमे गलतफहमी छन्हि। ‘बर्पातस्मं’ शब्दहक अर्थ होयत अछि पानिमे डुबकी लगौनाई। यीशुमे अपन नव विश्वाअस आ ओकर अनुसार चलबाक अहॉक प्रतिबद्धताके सार्वजनिक रूप स’ उद्घोषित करबाक ई एकटा बाइबिली तरीका अछि। पानिमे डुम्मी लगेनहार के काज ई देखबैत अछि जे कि हम यीशु के संग गारल गेल छी। पानिमे स’ बाहर अएनाइ, यीशुक पुनर्जन्माके चित्रित करैत अछि। बर्पातस्माे लेनाई अपना आप के यीशुके मरनाई, गारल गेनाई आ हुनकर पुनर्जन्म् स’ जोड़ैत अछि (रोमियो ६:३–४)।

बर्पातिस्मअ ओ नहि जे अहॉके मुक्ति द’ दिए। बर्पातिस्मर अहॉक पापके धोबैत नहि अछि। बर्पातिस्मअ त’ केवल हुनक कहल मानबाक एकटा डेग अछि, मुक्तिक लेल मात्र यीशुमे अहॉक विश्वा सक एकटा सार्वजनिक घोषणा अछि। ई बर्पातिस्मि एहि कारण महत्व पूर्ण अछि किएक त’ ई बात मानबाक एकटा सीढ़ी अछि – ई यीशु पर विश्वातस आओर हुनका लए अहॉक प्रतिबद्धताक सार्वजनिक घोषणा अछि। यदि अहॉ बर्पातस्माी लेबाक लेल तैयार छी त’ अहॉ के अपन पादरी स’ गप्पा करबाक चाही।

English



मैथिली मुख्य पन्ना पर लौट जाऊ

हम एखनहि सँ यीशुमे विश्वा स केलहुँ अछि ... आब आगू की ?
© Copyright Got Questions Ministries