settings icon
share icon
प्रश्न

एकटा मसीही की अछि?

उत्तर


वेबस्टोरक शब्दछकोष एकटा मसीहीके एहि रूपमे परिभाषित करैत अछि जे, "एकटा व्य‍क्ति, जे यीशु पर मसीहके रूपमे वा यीशुके शिक्षा पर आधारित धर्ममे विश्वाीस करबाक दावा करैत अछि।" ओना त’ ई बुझक लेल जे एकटा मसीही की अछि, ई एकटा नीक शुरूआती बिन्दुै अछि, बहुत धर्मनिरपेक्ष परिभाषा जेकां, मुदा ई ओहि बाइबिली सत्येके वास्तलविक रूप स’ बुझाबएमे कनेक छोट पडि़ जाएत अछि जे मसीही होएबाक माने की अछि।

नवका नियममे "मसीही" शब्दनक तीन बेर उपयोग कएल गेल अछि (एक्ट्से ११:२६; एक्ट्सक २६:२८; १पतरस ४:१६)। यीशु मसीहके पिछलगुक सब स’ अन्तकिया पहिले मसीही कहल गेल (एक्ट्सप ११:२६) किएक त’ हुनकर व्यिवहार, क्रिया–कलाप आ भाषा मसीहा जेकॉ छल। ई मूल रूप स’ अन्तयकिया के विधर्मी सभ मसीही सभक मजाक उड़ाबय लए ओकरा सभके खौंझाबए लए कहैत छल। ई शब्दिक माने होइए अछि "मसीही के झुंडक सदस्यै" या "मसीही के मानयवला वा पिछलग्गूक"। ई ओहि स’ बहुत मिलैत अछि जे कि वेबस्टजरक शब्दवकोषमे लिखल अछि। दुर्भाग्यि स’ समयक संगे "मसीही" शब्द् अपन महत्वतता बहुत हद तक मेटा लेलक आ आब बेसीकाल ओकरा लेल प्रयोग कएल जायत अछि जे धार्मिक अछि वा जकर नैतिक मूल्य बहुत बेसी अछि नहि कि यीशुक सुच्चाम आ फेर स’ जनमल अनुयायीक लेल। किछु गोटे त’ यीशु मसीह पर विश्वा स आ भरोसो नहि करैत छथि, ओ अपनाके सिर्फ एहि कारण स’ मसीहा मानैत छथि जे ओ गिरजाघर जायत छथि वा ओ कोनो "मसीही" देशमे रहैत छथि। मुदा गिरजाघर जेनाई, अपना स’ कम भाग्यमशाली लोकक सेवा केनाई वा एकटा नीक मनुख बननाई अहॉके मसीही नहि बना दैत अछि। जेना कि एकटा नीक संवदिया एक बेर कहने छल जे, "गिरजाघर गेने कियो मसीही नहि बनि जाइत अछि, जेना कि गैरेजमे गेला स’ कियो गोटे मोटरकार नहि बनि जायत अछि।" एकटा गिरजाघरक सदस्य बनि कए, सभदिन मंडलीमे जा कए आ बेर–बेर चर्चक काजक लेल चन्दाि देब’ स’ अहॉ मसीही नहि बनि सकैत छी।

बाइबिल हमरा सभके बतबैत अछि जे हमर नीक काज हमरा परमेश्व।रक आगू स्वीककार्य नहि बना सकैत अछि। (तीतुस ३:५) हमरा बतबैत अछि जे, "ओ हमर रक्षा एहि कारण नहि केलाह किएक त’ हम नीक काज कएलहुं, बल्कि ओ अपन दया भावक कारण कएलाह। ओ नवका जन्मकक नहेनाई आ पवित्र आत्मास स’ नव बनाओल गेलाक द्वारा हमर रक्षा केलाह। ताहि कारण एकटा मसीही वैह लोक अछि जे परमेश्वहरक द्वारा नव जन्मामएल अछि (यूहन्नाज ३:३; यूहन्नाज ३:७; १पतरस ३:२३) आ जे यीशु मसीहमे अपन विश्वापस आ हुनका पर भरोसा रखने छथि। इफिसियो २:८ हमरा सभके कहैत अछि जे, "...किएक त’ विश्वाजसक लेल कृपा स’ तोहर उद्धार भेलऊ आओर ई तोहरा तरफ स’ नहि बल्कि परमेश्वयरक दान थिक।" एकटा सुच्चाऊ मसीही वैह छथि जे अपन पापक पश्चालताप कएलथि आ मात्र यीशु मसीहमे अपन विश्वापस आ भरोस रखलथि। हुनकर भरोस कोनो धर्मके वा नैतिक आचार संहिताके करक चाही आ की नहि एहि सूचीके पालन करएमे नहि छन्हि।

एकटा सुच्चान मसीही वैह लोक छथि जे यीशु मसीहके व्य क्तित्वकमे अपन विश्वाशस आ भरोस रखने छथि आओर ओहि वास्‍तविकतामे जे कि ओ पापक दाम चुकाबए लेल शूली पर मरलाह आ मृत्यु‍के जीति कए अपना उपर विश्वाबस करए वला सभके अनन्तत जीवन देबाक लेल तेसर दिन फेर स’ जी उठलाह। यूहन्नार १:१२ हमरा सभके बुझबैत अछि जे, "एखन धरि जतेक लोक हुनका ग्रहण केलक माने ओ सभ जे हुनका नाउ पर विश्वा स रखैत छथि हुनका सभके ओ परमेश्वकरक संतान होएबाक अधिकार देलखिन्हे।" एकटा सुच्चा मसीही निश्चित्त रूप स’ परमेश्वनरक संतान, परमेश्वकरक वास्त विक परिवारक सदस्यि आ ओ व्यिक्ति जकरा यीशु नया जीवन देलखिन्ह , छथि। एकटा सुच्चा् मसीहीक चिह्न अनकाक प्रति प्रेम आ परमेश्वकरक वचनके मानएवला अछि (१यूहन्नाम २:४; १यूहन्नाप २:१०)।

अहॉ एखन धरि जे पढ़लऊ ओहि स’ यीशु के बारेमे कोनो निर्णय लेलहु वाकि नहि? जँ हाँ, त’ कृपा कए क’ "हम आई यीशु के स्वीकार कए लेलहुँ" बटन के दबाउ।

English



मैथिली मुख्य पन्ना पर लौट जाऊ

एकटा मसीही की अछि?
© Copyright Got Questions Ministries