settings icon
share icon
प्रश्न

यीशु मसीह के छथि?

उत्तर


यीशु मसीह के छथि ? "की, परमेश्वपर अस्तित्वामे छथि ?" ई प्रश्नत के छोड़ि बहुत कम लोक ई प्रश्नस कएलथि जे की, यीशु मसीह के कोनो अस्तित्वक छल। सामान्‍यत: मानल जाएत अछि जे यीशु ठीकेमे एकटा मनुख छलाह जे करीब–करीब २००० बरख पहिले इजरायलक धरती पर चलल–बुलल छलथि। झंझट त’ तखन शुरू होएत अछि जखन यीशु के पूरापूरी चिह्नय पर विचार होएत अछि। करीब–करीब सब पैघ धर्म ई कहि दैत अछि जे यीशु एकटा भविष्यठवक्ताल, एकटा नीक मास्टघर वा एकटा पंडित छलाह। परेशानी त’ ई अछि जे बाइबिल हमरा बतबैत अछि जे ‘यीशु अनन्ताता मे एकटा भविष्यिवक्ताा, एकटा नीक मास्टबर वा एकटा पंडित स’ बेसी आओर किछु छलाह।

सी. एस. लुईस अपन किताब मेयर क्रिस्चेनिटी (केवल मसीही धर्म) मे लिखैत छथि जे, "हम एतय ककरो ई बुड़बकहा गप्प कहए स’ रोकबाक प्रयास करैत छी जे कि लोक हरदम हुनका (यीशु मसीह) बारेमे कहैत छथि: "हम यीशु के एकटा पैघ नैतिक शिक्षकक रूपमे स्वीतकार करबाक लेल तैयार छी, परन्तुक हम हुनकर परमेश्वयर होएबाक दावाके स्वीमकार नहि करैत छी।" ई एकटा ओ गप्पड अछि जे हमरा नहि कहक चाही। एकटा व्यपक्ति जे केवल एकटा मनुख छलाह आ ओहि तरहक गप्प कहैत छलाह जेना यीशु कहलखिन्हप ओ एकटा महान नैतिक शिक्षक नहि भए सकैत छथि। ओ या त’ एकटा पागल मनुख भए सकैत छथि – ओहिना जेना कि कियो कहैथ जे कि ओ एकटा पाकल अंडा अछि – या नहि त’ ओ नरकक राक्षस भए सकैत अछि। अहॉके अपना दिस स’ चुनब चाही। या त’ ओ व्यिक्ति जे छलैथ आओर जे छथि ओ परमेश्वगरक संतान छथि या नहि त’ कोनो पागल या किछु और बहुत खराब ... अहॉ हुनकर बेवकूफीक लेल हुनका चुप करा सकैत छियन्हि, एकटा राक्षसक रूपमे हुनकापर थूकि सकैत छी आओर मारि सकैत छी; नहि त’ अहॉ हुनका चरणमे खसि कए हुनका प्रभु या परमेश्व र कहि सकैत छी। मुदा हमरा सभके कोनो कृपालु मूरख संग ई निर्णय नहि लेबाक चाही जे कि ओ एकटा पैघ शिक्षक छलाह। ओ ई विकल्पप हमरा सभक लेल नहि छोड़ने छथि। हुनकर एहन कोनो मंशा नहि छल।"

तहन, यीशु की होएबाक दावा कएलथि? बाइबिल की कहैत अछि - ओ के छलाह? सबस’ पहिले, यूहन्ना १०:३० मे यीशुके लिखल बात दिस देखैत छी जे, "हम आ परमपिता एकहि छी।" पहिल नजरमे ई परमेश्व३र होएबाक दावा नहि बुझायत अछि। हालांकि, हुनकर कहलापर यहूदी सभक प्रतिक्रियाके देखैत छी जे, "यहूदी सभ हुनका उत्तिर देलकन्हि जे नीक काजक लेल हम तोहरा पर पाथर नहि फेकि रहल छियौ, मुदा परमेश्वलर के निंदा करबाक कारणे आओर एहि दुआरे कि तू मनुख भए क’ अपना के परमेश्वनर कहैत छह तैं हम तोरा पाथर मारैत छियह" (यूहन्नाभ १०:३३)। यहूदी सभ यीशु के कहल गप्पेके परमेश्वएर होएबाक दावा बुझलक। निचलका पदमे यीशु यहूदी सभके बुझाबए लेल कखनो ई नहि कहलाह जे कि, "हम परमेश्वतर होएबाक दावा नहि कएलहुं।" एहि बात स’ बुझायत अछि जे यीशुक ई घोषणा जे "हम आ परमेश्वोर एकहि छी" (यूहन्ना १०:३०) स’ ठीके कहैत छलाह जे ओ परमेश्विर छथि। यूहन्नात ८:५८ एकटा दोसर उदाहरण अछि। यीशु कहलथिन्ह, "हम अहॉ स’ ठीके कहैत छी जे एहि स’ पहिले कि इब्राहिम जन्मयल, हम छी।" फेर स’ एकर प्रतिक्रिया ‘मे यहूदी सभ पाथर उठा कए यीशुके मारय चाहलक (यूहन्नाइ ८:५९)। यीशु जे अपन पहचान "हम छी" कहि कए देलथि ओ पुरना नियममे परमेश्वारक नामक सोझगर प्रयोग छल (एक्सोाडस ३:१४)। जँ यीशु एहन गप्पी नहि कहने छलाह जकरा यहूदी सभ परमेश्व रक निन्दा केनाई, मतलब परमेश्वयर होएबाक दावा केनाई, बुझैत छल त’ यहूदी सभ फेर स’ यीशु पर पाथरवाजी करय किएक चाहैत छल?

यूहन्नाल १:१ कहैत अछि जे, "शब्द’ परमेश्वार छल।" यूहन्नाई १:१४ कहैत अछि "वचन देहधारी भेल।" ई पूरा–पूरी देखबैत अछि जे यीशु देह रूपमे परमेश्ववर छथि। यीशुक चेला थौमस यीशुक संबंधमे कहैत छथि जे, "हे हमर भगवान, हे हमर परमेश्वमर" (यूहन्नाु २०:२९)। यीशु ओकरा सुधारलाह नहि। पुजारी पौल हुनकर एहि शब्दभमे वर्णन करैत छथि जे, "...हमरा सभक महान परमेश्वहर आ उद्धारकर्ता यीशु मसीह" (तीतुस २:१३)। पुजारी पतरस सेहो एहिना कहैत छथि जे, "...हमर परमेश्वपर आ उद्धारकर्ता यीशु मसीह" (२पतरस १:१)। परमपिता परमेश्वीर सेहो एहि तरह सय यीशुक पूरा पहचानक गवाह छथि, "मुदा बेटा के बारेमे ओ कहैत छथि जे "हे परमेश्वसर अहॉक सिंहासन युगयुगान्तशर तक रहत, अहॉक राजक राजदण्ड’ अछि।" यीशुक पुरना लिखल वसियत ई घोषणा करैत अछि जे, "हमरा सभक लेल एकटा नेना जनम लेलक, हमरा सभके एकटा बेटा भेटल, आओर ओकर कनहा पर सरकार चलत। आ ओ चमत्कानरी सलाहकार, बड़का भगवान, अंतहीन पिता आ शांतिक युवराज कहौताह।"

ताहि दुआरे, जेना कि सी. एस. लुईस पकिया कएलथि जे यीशुके एकटा नीक शिक्षकक रूपमे माननाई कोनो विकल्पन नहि अछि। यीशु स्प ष्टन आओर अकाट्य रूप स’ अपना के परमेश्वसर होएबाक दावा कएलन्हि। अगर ओ परमेश्वार नहि छथि त’ फेर ओ झुठ्ठा छथि आ ताहि कारण ओ एकटा पैगंबर; वा नीक शिक्षक वा धार्मिक लोक सेहो नहि छथि। हरदम यीशु के शब्द क चिरौरी करबाक प्रयासमे एखनुका विद्वान ई दावा करैत छथि जे "वास्त विक ऐतिहासिक यीशु" ओ सभ गप्पी नहि कहलाह जे कि बाइबिल हुनका कहैत अछि। परमेश्वीरक कहल शब्दयक संग विवाद करए वला हम सभ के होएत छी ? जे यीशु ई गप्प। कहलखिन्हि की नहि कहलखिन्ह? यीशु के दू हजार साल बादक कोनो विद्वानमे एतेक ज्ञान कोना भए सकैत अछि जे यीशु ई गप्पन कहलथिन्ह आ ई गप्पल नहि कहलथिन्हे, जतेक कि हुनका संग रहयवला, हुनकर सेवा करय बला आ स्वियं यीशु स’ शिक्षा पाबए बला के भ’ सकैत अछि (यूहन्नाग १४:२६)?

यीशु के उचित पहचान परक प्रश्न‍ एतेक महत्व’पूर्ण किएक अछि? एहि स’ कि फर्क पड़ैत छै जे यीशु परमेश्व्र छथि वा नहि? यीशु के परमेश्वकर होएबाक सबस’ पैघ कारण इएह जे अगर यीशु परमेश्व्र नहि होएतथि त’ हुनकर मृत्युश स’ पूरा दुनिया के पापक जुरमानक दाम पुरबाक लेल काफी नहि भ’ सकैत छल (१यूहन्नार २:२)। केवल परमेश्वनरे एहन पैघ जूरमाना भरि सकैत छथि (रोमियो ५:८; २कुरिन्थिबयों ५:२१)। यीशु के परमेश्व र होएबाक छलन्हि जाहि स’ कि ओ हमरा सभक करजा चुकता कए सकैत छलाह। यीशु के मनुख होएबाक छलन्हि जाहि स’ कि ओ मरि सकैथ। केवल यीशु मसीहमे विश्वाहस कएला स’ उद्धार भेटि सकैत अछि! यीशु के ई प्रभुते छन्हि जे कि सिर्फ वैह उद्धारक एकमात्र बाट छथि। यीशु के प्रभुते छन्हि जे कि ओ ई दावा कएलथि जे "उचित बाट, सच आ जीवन हम ही छी। हमरा बिना कियो परमपिता लग तक नहि पहुंच सकैत छथि" (यूहन्नाै १४:६)।

English



मैथिली मुख्य पन्ना पर लौट जाऊ

यीशु मसीह के छथि?
© Copyright Got Questions Ministries