settings icon
share icon
प्रश्न

उद्धारक योजना की अछि / उद्धारक बाट कोन अछि?

उत्तर


की, अहॉ भुखाएल छी? शारीरिक रूप स’ भुखाएल नहि, बल्कि अहॉके जीवनमे कोनो आओर चीजक भूख अछि? की, अहॉमे भीतर तक कोनो एहन वस्तु अछि जे कि कखनो संतुष्टर होएत नहि प्रतीत होइत अछि? जँ एहन वस्तुक अछि त’ यीशु एकटा बाट छथि! यीशु कहने छथि, "जीवनक रोटी हम छी : जे हमरा लग आओत ओ कखनो भुखाएल नहि रहत आओर जे हमरा पर विश्वा स करत, ओ कखनो प्या सल नहि रहत" (यूहन्नाि ६:३५)।

की, अहॉ भुतला गेल छी? की, अहॉ जीवनमे कोनो बाट या मंजिल नहि ताकि सकल छी? की, एहन लगैत अछि जेनाकि केयो बिजली बुझा देने छै आ अहॉ ओकरा जराबय लय बटन ताकबामे असमर्थ छी? जँ ऐहन अछि, त’ यीशु एकटा बाट छथि! यीशु दावा कएने छलाह, "दुनियाक इजोत हम छी; जे हमरा पाछू रहत ओ अन्हाऐरमे नहि चलत, बल्कि जीवनक इजोत पाओत" (यूहन्नाह ८:१२)।

की, अहॉके कखनो एहन बुझायत अछि जे कि अहॉक जीवनक केबाड़ बन्दट भए गेल अछि? की, अहॉ सिरफ यैह जनबाक लेल बहुतो केबाड़ खटखटेलहुं, जे ओकर पाछू सिर्फ खालीपन आ अर्थहीनता छै? की, अहॉ एकटा पूर्णताक जीवनमे घूसैक दिस ताकि रहल छी? जँ एहन छै त’ यीशु एकटा बाट छथि! यीशु घोषणा कएने छलाह जे, "गेट हम छी; यदि हमरा स’ घूसत त’ उद्धार पाओत, आ बाहर–भीतर आएल–जाएल करत आ चारा पाओत" (यूहन्नाओ १०:९)।

की, आन लोकसभ हरदम अहॉके निचा देखबैत अछि? की, अहॉक संबंध सतही आ खाली अछि? की, अहॉके एहन लगैत अछि जे सभकियो अहॉ स’ फायदा उठाब’ चाहि रहल अछि? यदि एहन अछि त’ यीशु एकटा बाट छथि! यीशु कहने छलथिन्हा जे, "हम नीक चरवाहा छी, एकटा नीक चरवाहा अपन भेड़क लेल अपन जानो दैत अछि... हम अपन भेड़ के जनैत छी आ हमर भेड़ सभ हमरा जनैत अछि" (यूहन्नाज १०:११,१४)।

की, अहॉके अजगुत लगैत अछि जे एहि जीवनक बाद की होइत अछि? की, अहॉ ओहि वस्तुछक लेल अपन जीवन, जे केवल सड़ैत आ बीझ (दीबार) खैत अछि, ओकरा जीबैत थाकि गेल छी? की, अहॉके जीवनक माने पर संदेह होएत अछि? की, अहॉ मरलाक उपरांतो जीबए चाहैत छी? यदि एहन अछि त’ यीशु एकटा बाट छथि! यीशु घोषणा कएने छथि जे, "पुनरूत्थाछन आ जीवन हमहीं छी; जे कियो हमरा पर विश्वा.स करैत छथि ओ जँ मरिओ जाएत त’ फेर स’ जीव जाएत। आओर जे कियो जिवैत अछि आ हमरापर विश्वाेस करैत अछि ओ अनन्तओकाल धरि नहि मरत" (यूहन्ना ११:२५.२६)।

बाट की अछि? सत्यत की अछि? यीशु उत्तार देलथिन्हत, "बाट, सच्चाीई आ जीवन तीनू हमहीं छी; हमरा बिना कियो परमपिता लग पहुँच नहि सकैत अछि" (यूहन्नाी १४:६), जे भूख अहॉके बुझा रहल अछि ओ एकटा आत्मिक भूख अछि, आओर एकरा केवल यीशु पूरा कए सकैत छथि। मात्र यीशुए टा ऐहन छथि जे अन्हाार के मिटा सकैत छथि। यीशु एकटा संतुष्टा जीवनक फाटक छथि। यीशु एकटा संगी आ चरवाहा छथि जिनका अहॉ ताकि रहल छलियन्हि। यीशु एहि संसारमे आ आगुओक संसारक जीवन छथि। यीशु उद्धारक बाट छथि!

अहॉ अपन भूखक कारण, अहॉके अन्हा रमे हेरा जेबाक डरक कारण, अहॉक जीवनक कोनो मकसद नहि होएबाक कारण, इएह सभ अछि जे अहॉ परमेश्व र स’ अलग भए गेल छी। बाइबिल हमरा बतबैत अछि जे हम सब पाप कएने छी, आ एहि कारण हम परमेश्व।र स’ अलग भए गेल छी (सभोपदेशक ७:२०; रोमियो ३:२३) जे खालीपन अहॉ अपन हृदयमे महसूस कए रहल छी ओ परमेश्व(रक अहॉक जीवनमे नहि होएबाक कारण अछि। हमरा सभक रचना परमेश्वओरक संग संबंध रखबाक लेल कएल गेल छल। परन्तुब अपन पापक कारण हमसभ ओहि संबंध स’ अलग कए देल गेलहुं। एहु स’ खराब ई बात अछि जे हमर सभक पाप समूचा अनन्त तामे, इ जीवन आओर अगिला जीवनमे सेहो परमेश्वमर स’ अलग बनाउने रखबाक कारण रहत (रोमियो ६:२३; यूहन्नाव ३:३६)।

एहि समस्यारक समाधान कोन तरहे भए सकैत अछि? यीशु एकटा बाट छथि! यीशु हमर सभक पाप अपना उपर लए लेलथि (२कुरिन्थिायों ५:२१)। यीशु हमरा बदला मरलाह (रोमियो ५:८), ओ सजा पबैत जकर भागी हम छलहुं। तीन दिनक बाद, यीशु मृत्युो पर अपन प्रभुता के प्रमाणित करैत मरलाक बादो जिब उठलाह (रोमियो ६:४–५)। ओ ऐहन किएक कएलाह? यीशु अपनहि एकर उत्तमर देलाह जे, "एहि स’ बड़का ककरो प्रेम नहि जे कियो अपन संगीक लेल अपन प्राण द’ दिए" (यूहन्ना‘ १५:१३) यीशु मरलाह एहि दुआरे किएक त’ हमसभ जी सकी। अगर हम यीशुमे अपन विश्वाहस रखैत छी त’ हुनकर मृत्युरके हमरा सभक समूचा पापक कीमत चुकता मानि कए धो देल जाइत अछि। तखन हमसभ अपन आत्मिक भूखके संतुष्टि पाबि सकैत छी। फेर स’ इजोत भए जाएत। हम पूर्णताके जीवनमे प्रवेश करब। हम अपन सुच्चा श्रेष्ठट संगी आ नीक चरवाहाके जानब। हम ई जानब जे मरलाक बादो हमरा लग जीवन रहत – यीशुक संग अनन्ति काल धरि स्वईर्गमे एकटा पुनर्जीवित जीवन होयत। "किएक त’ परमेश्व र दुनिया स’ एहन प्रेम रखने छथि जे ओ अपन एकलौता बेटा द’ देलथिन्ह।, जाहि स’ कि - जे कियो हुनका पर विश्वाेस करय ओकर नाश नहि होय बल्कि ओकरा अनन्तश जीवन भेटय" (यूहन्ना ३:१६)।

की, अहॉ एखन जे पढ़लहुँ, ओहि कारण यीशु के लेल किछु निर्णय लेलहुँ की नई? यदि लेलहुँ त’ निचा लिखल "हम आई यीशु के मानि लेलहुँ" वला बटन दबाऊ।

अहॉ एखन धरि जे पढ़लऊ ओहि स’ यीशु के बारेमे कोनो निर्णय लेलहु वाकि नहि? जँ हाँ, त’ कृपा कए क’ "हम आई यीशु के स्वीकार कए लेलहुँ" बटन के दबाउ।

English



मैथिली मुख्य पन्ना पर लौट जाऊ

उद्धारक योजना की अछि / उद्धारक बाट कोन अछि?
© Copyright Got Questions Ministries